fbpx

मातृभाषा दिवस एवं महाकवि/ महाप्राण ,निराला के जन्मदिवस के ढ़ेर सारी बधाई

मातृभाषा दिवस एवं महाकवि/ महाप्राण ,निराला के जन्मदिवस के ढ़ेर सारी बधाई
मातृभाषा दिवस के अवसर पर अनेकानेक बधाई । उल्लेखनीय अछि कि 10 फरवरी, 19 के संयुक्त अरब अमीरात (यूएई) अपन अदालत में हिंदी के तेसर आधिकारिक भाषा के रूप में मान्यता देलक । अबुधाबी ( यूएई) के एहि ऐतहासिक फैसला से भारत के मातृभाषा प्रेमी लोक के मन में सेहो आशा के किरण जगोलक । अपन देश में खासकर शीर्ष न्यायालय में हिंदी एवं अन्य भारतीय भाषा में न्याय के उम्मीद दूर के कौड़ी अछि । एहि प्रसंग में वर्ष 2016 में भारत संचार निगम लिमिटेड के गृह पत्रिका में प्रकाशित आलेख अपनेक सब क अवलोकनार्थ प्रस्तुत अछि । एहि तरह क लेख शब्द सीमा के संग अनेक औपचारिकता एवं बाध्यता के कारणें ओतेक मोनमाफिक नहि तथापि मातृभाषा के हमर आशा एहि में परिलक्षित अछि । संगे आई महाकवि/महाप्राण ‘निराला’जी के जन्म तिथि के अवसर पर हुनक जीवन के एक रोचक प्रसंग ‘नेहरू और निराला ‘श्रद्धांजलि के रूपें में साझा कय रहल छी ।। जय मैथिली, जय हिंदी, अष्टम सूची में शामिल आन सब भाषा के जय सहित सब मातृभाषा फलें -फूलें एहि आशा आ आकांक्षा ….

Please follow and like us:
%d bloggers like this: